लोकगाथा राजा सलहेस: किसे कहें कौन पतियायेगा, जिसे कहें वही लतियायेगा !
00:01:11

लोकगाथा राजा सलहेस: किसे कहें कौन पतियायेगा, जिसे कहें वही लतियायेगा !

in Video
Published on: 21 September 2018

Sunil Kumar

Sunil Kumar is an independent cultural journalist, art researcher and art film maker based in Ghaziabad. Experiencing himself as a tool of mainstream media, where space for art writing and production of art shows is constantly shrinking, he never gave up his efforts to find options to showcase art and art matters. Having almost 14 years of journalistic experience in background, he is engaged with audio-visual and photo documentation of various tangible and intangible folk-art forms of Bihar, that also includes recording of archival interviews of living legends and oral histories of art traditions. He is recipient of Dinkar Puraskar (Bihar Kala Samman) 2017 for his writings on visual art.

Folklore Raja Salhesh: Singer - Bisundev Paswas, Madhubani. Documentation: Sunil Kumar. October, 2017.

 

मलिनिया प्रसंग

 

आ  SSS आ SSS

प्रेमी यो भइया SSS बाबू सा  SSS

यौ राज मइसौथा गादी मे बाबू

राजा सलहेस छै मालिक

मांअंदीक चौसे पिया जोगिनिया

मांअंदी के कोइख से जनमल

राजा सलहेस बाबू मोतीराम दुलरुआ

अहो छोटका बउआ बुधेश्वर बाबू

सुंदर रूप मे पुरुष हो जनमल

अनक रूप सकल बाबू अविछै

आय हो नारायण हे हो गोसइंया

सुनल बाबू हो जिनकर बरका

जिनकर नाम राजा सलहेस छै

जिनक पाग पर लाल पगिया छै

सुंदर मुख पर लाल पाग छै

गल्ला मे ताबीज छै सोना कै

दांत बत्तीसिया रंग छै निशिया

सुंदर रूप छन अनरूपिया क

से प्रेमी ओ भाय SSS बाबू साब SSS

 

इनका से छोट बाबू मोतीराम छै

बारह बरस पलका पर खेलिलै

बांधल लंगोटा बहुरावा कै

भरल जवानी अनरूपिया कै

हाय हो नारायण हे हो गोसइयां

दुनुक रूप अई रंग लगै छै

आए हल मोछ फूलदार लगैछै

दुनू नयन पर भौरा लोटइ छै

सकल रूप छै बहुरहबा कै

इशवर गोसाएं SSS विधाता SSS

मोतीराम दुलरुआ नाम जै लागै छै हो SSS

सकल समाज SSS बाबू साब SSS

 

तोहर छोट बाबू लागै छै बुधेश्वर

बउआ बुधेश्वर नाम लगै छै

हुनका बाउआ बुधेश्वर छै है

शितल बाग बगिया मे रे बाबू

बाबू हरिसिंग सगुर बसै छै

तकरा पहरा मे बउआ बसैए

चाइर पहर मे तब राइत बसै छै

चारू पहरवा मे पहरा करैये

प्रेमी ओ SSS भाय SSS बाबू साब SSS

हिनकर पहरा मे, बउआ छे बुधेश्वर हो SSS

इशवर गोसाईं SSS बिधाता SSS

 

राज फुलवारी बगैचा लगैछै

सुंदर फुलवारी छै राजा सलहेस कै

सुंदर गहवर छै मालिक क

जइमे पूजा पाठ जै होइछै

छउरा नेपलिया बाबू पहड़िया

एक बोलिया जब ठारि अवैहै

भइया कहैछी राजा जी के

जै जै कार मंदिर मे करियै

इशवर गोसाईं SSS बिधाता SSS

राज महिसौथा मे नाम चलै छै हो SSS

बाबू हो भाय SSS बाबू साब SSS

 

यौ हाथीए मकना दाता के लागै छै

जइ मकना हाथी पर बाबू

हौदा लगल छै सिंघासन छै

ओहो मोर मजुरनी बगल मे नचै छै

हो सुआ हो हिरामन छै सोना पिंजरा मै

हो सोना के कटोरा राखल छै पिंजरा मै

ओ बौआ हो दूध भरल छै बाल्टी मै

निसदिन भोजन ओSमी मे सुआ करियै

प्रेमी ओ भाय SSS भइया सा SSS

सीता-राम सीताराम सुआ ए बोलैछै

सीता-राम SSS सुग्गा SSS बोलैछी न यो प्रेमी साब SSS

बाबू ए भाय SSS प्रेमी साब SSS

 

ओना सइसा छै मालिक कै

अड़ियल घोड़ा पटिया लगै छै

घर दरवारे राजा के बसैये

चौदह कोस फुलवारी लगैछै

चंदन पेड़ छै राज बगैइचा

सगर पेड़ छैन फुलवारी मे

लौंग इलाइची बाग मे लागै

सरिसब टोला छै अइ मालिक कै

इशवर गोसाइं SSS विधाता SSS

गमगम करै छै राजा फुलवारी यो SSS

प्रेमी ओ भाय  SSS बाबू साब SSS

 

छौरा पहड़िया नेपलिया आवै छै

सब दिन पूजा करैया मालिक कै

फूलक माला गला मे कटै छै

जै जै कार मंदिर मे होइछै

छौरा नेपलिया पहड़िया बाबू

इब लड़ाब दुनिया मे लगैये

मइन केतु के पहरू छेलियै

खरा-खरा जै पहरा करैये

नाम चलै SSS छे SSS

नाम चलै छे SSS राज महिसौथा मे SSS

प्रेमी ओ भाय SSS बाबू साब SSS

 

हो राज मोरंग मे मलिया हौ बसै छै

रूकमा माइलक बेटी छीये

हिरिया झिरिया रेशमा कुशमा,

दौना मालिनिया रानी फूलवंती

सबहक जेठक दौना छीयैक

जहिया जनम बाबू लैछै मोरंग मे

आ तहिये के दिन बाबू बिधना लिखलकै

इशवर गोसइंया बिधाता लिखलकै

आ मलिया के बेटी जो दुनिया मे

मरद गमन बेटी तोरा नइये लगतौं

अगे जनम जनम तू कुमाइरे रहमे

भगत भजन दुनिया मे तू करमे

बाबू ओ भाय SSS प्रेमी साब SSS

एतने तो बात गोसइंया

बिधना लिखलकै हो  SSS

बाबू ओ भाय SSS प्रेमी साब SSS

लक्ष्मीजी स परन ठनलकै

हाय हो बिधाता, हे हो गोसइंया

अब जब शादी दुनिया मे हो करबै

उत्तराखंड मे महिसौथा राज मे

राजा सलहेस अनुरूपिया देवता

श्री सलहेस पर आंचल बान्लकै

बैन्ध के आंचल मोरंग मे रखलै

हाय हो नारायण हे हो गोसइंया

बारह बरस तक पूजा केलकै

बाबू ओ भाय SSS प्रेमी साब SSS                      

सखी सहेली के संग मे लेलकै

हिरिया जिरिया रेशमा कुसमा

उगल तरेगनी बतिया धामन

सिक्की के डाली रानी बनलकै

सुंदर फूलक झावा सजलकै

बायां बगल मे जोगिनिया लेलकै

डाली उठाके माथा पर अलकै

रामा जोरी बा SSS त बहिना SSS

 

गे सुन-सुन बहिना तोरा कहैछी

धरम दिल के बरता सुनलै

गे केकरा कहिबै के पतियैति

दिल के बात कहल नै जैते

गे बिना कहल रहल नै जैते

चल-चल बहिना चलबै करियौ

रामा जोरी बा SSS त बहिना SSS

सनमुख गंगा जी धरती पर बह छै यो SSS

बाबू ओ भाय SSS प्रेमी सा SSS

 

सनमुख गंगा के नदी बाबू बहै छै

आ सखि ए सहेली मोरंग बाली

आ दौना मलिनिया हत्था जोरी कैलकै

आ सिक्की के हो डाली मत्था पर मे लेलकै

आ मां गंगा के आइ रसता धैलकै

आगू पाछू छई सातो बहिनिया

एकि-एकि डांर छै मोरंग वाली कै

आ उलटा जूड़ा छै बंगालिन कै

हो उलटा अंचरा छै मोरंग वाली कै

आ घूंघरू बाला हो बाला शोभय छै

आ दुतिया के चांद जेकै रूप लगैछै

बाल-बाल मे मोती शोभैय

आ सीना कमलक फूल लगैछै

चलछै मलिनिया कमर लचकैछै

आ डगमग डगमल धरती पर डोलैछै

आ धरती के जूरा हो उपर मे उड़ैछै

रामा जोरी बा SSS त बहिना SSS

चलियौ न चलियौ ग दिलबर

गंगा मे नहाय SSS ला,   

चलियौ न चलियौ ग दिलबर

गंगा मे नहाय ला न गे SSS

रामा जोरी बा SSS त बहिना SSS

 

चल चल बहिना गंगा जी मै

अगे तीन तीन डूब गंगा मे लेबै

मां गंगा के सबकुछ कहबै

बहिना गे बSSS बहिना SSS

मइया जब गंगा मे SSS सबकुछ कहबै गे

बाबू ओ भाय SSS प्रेमी सा SSS

 

एक पलक दौना के लगलै

गंगा के अइ नदी मे गेलै

हत्था जोरिक सखी सब गेलकै

कल जोरिकै अरजि केलकै

गंगा के अइ नदी मे पहुंचलै

तीन-तीन डूब गंगा जी मे लेलकै

सखी सहेली उपर ऐलै

इशबर गोसाईं SSS बिधाता SSS

 

आ दौना सती रानी ए मलिनिया

माता गंगा के नदी मे नहैलै

आ पहले डूब बाबू गंगा जी मे लेलकै

आ मां गंगा के नदी मे हो डूबलै

एक दिनन क के बतलाबे

आ घरी घंटा के दादा केहो बतलाबे

दिन सारा गंगे मे हो डूबलै

सारा रात डूबलै रहि गेलै

एक रैत के क बतलाबै

बाबू एओ भाय SSS प्रेमी सा SSS

सात SSS दिन सात SSS रैत

गंगाजी मे डूबलै SSS 

आ सात SSS दिन सात SSS रात

गंगाजी मे डूबलै रहिलै यौ SSS 

बाबू ओ भाय SSS भैइया सा SSS

 

सात दिनन बाबू जहिया हो बितलै

सगरै हल्ला होलै मोरंग मे

आ गंगा जी मे हो बाबू मेला लगलै

जहिया सात रैत बीत गेलै

आ मोरंग के मलिनिया गंगा से निकललै

परगट भेलै माता हो गंगा

जहिना गोदी मे बालक खेलियै

तहिना गंगा मालिन के खेलाबियै

आ मीठी-मीठी बोली आ मैया गंगा बोलियै

आ सुन गे बेटी मोरंग वाली

अगे बालि उमर बेटी तोहर लगै छउ

की कारण आ गंगा मे गे डूबलै

तोरे देख के दया हमरा लागलै

तैं परगट गंगा जी भेलियै

बेटी गे मली SSS निया SSS

कथि आइ कारण से SSS

आ गंगा नहाइलै SSS हे  SSS

बाबू ओ भाय SSS प्रेमी सा SSS

 

कल जोइर कै मालिन बोलियै

चरण पकड़ कै जोगिनिया कहैयै

सुन गे मैया गंगा सुनले

बारह बरस मोरंग मे बीतलै

एक पुरुष पर एक गो नारी

बारह बरस हम रहलौं कुमारी

मइया गे गां SSS गंगा SSS

राजा सलहेस पर अंचरा बंन्हलौं

गे बांन्धल अंचरा बन्धिलै रहि गेलै

गिरह ओकरा आंचर मे लागिलै

केश पीस गेलै दांस ढैल गेलै

आधा अलंग मोरंग मे बैइसले      

गे तइयो न बेइमनवां पियवा दरशन देलकै

तइयो न बेइमनवां पियवा दरशन देलकै न गै

बहिना SSS

रामा जोरी बा SSS त बहिना SSS

 

गे भरल जवानी निरगित गेले

मोरंग पोसल गे झाझर भेले

दांत गात मोरंग मे सूखलै

पिया लालसा लागल रहिलै

बारह बरस के उमर बीत गेले

मइया गे गां SSS गंगाजी SSS

केते दिन रहबै जनम कुमारी हे SSS

 

आ मइया ए गंगा निशिदिन बोलियै

अ सुन सुन बेटी गे मोरंग के मलिनिया

आगे चिंता न करियौ बेटी तू न कनिहै

आगे तोहरो मदद करबौ मार्त लोक मे

आ बेटी मलिनिया मदद तोरा करबौ

आ एतने बचन बाबू मोरंग वाली सुनियै

आहो दौना मलिनिया सबद सुनलकै

आ बर मन खुशी भेलै मालिन के

आ गेरुआ मंगाके लेलकई गंगा मे

आ पहिलई पूजा केलकई गंगा के

आ बीचे धारे गेरुआ गंगाजी के देलकई

आ लोटा मे त बाबू जल भरि लेलकई

आ तुलसी चौरा मे अ जलक ढरलकई

दाता दीनानाथ के अंचरा पसैरकै

आ गाय के दूध से ढार दे देलकै

सवा हाथ धरती के पूजलकै

बाबू एओ भाय SSS भइया सा SSS

पच्छिम मे बाबू वीरा पूजलकै

उतराखंड पाचो पंडर के पूजलकै

दच्छिण मे हो बाबू गंगा के पूजलकै

आ पूरब पूजा केलकै हो दीना नाथ के

इशबर गोसाईं SSS बिधाता SSS

 

गांव मे पैइस मे मालिन बैइसलै

रबरल बतिया मलिनिया हो ढेलकै

बाबा डीहवार के शरण मे लगलै

सुंदर-सुंदर घोड़ा बाबू नया ए किनलकै               

आ पान सुपारी जनेऊ लै लेलकै

आ फल दूध खरीद कै बाबा के चढ़लकै

ब्राह्मण बाबू कुमैर के न्योतलकै

बाबा डीहवार के हो पूजा केलकै

ब्राह्मण कुमारि के हो भोजन करैलकै

बाबू एओ भाय SSS प्रेमी सा SSS

तबत मलिनिया पूजापाठ कैलकइ SSS

आ  SSS तबत मलिनिया पूजापाठ कैलकइ न यौSSS

बाबू सा SSS

श्रीराज मोरंग SSS मोरंग मे

श्रीराज मोरंग एलै,

एकादशी है रे वास केलकै

बीचे अंगना मे चौका लगलकै

श्रीसतनारायण बाबा के पूजलकै

साधू के भंडारा केलकै

ब्राह्मण आ पंडित पूजलकै

दानपून मोरंग मे केलकै

सकले समाज SSS बाबू सा SSS

यौ राजा सलहेस लै की की न केलकै

एकादशी ऐ हे रे वास केलकै

सुंदर पूजा हो बाबा के हो केलकै

सरर कैइट के पउआ छेवलकै

चंदन कैइट के पैस बनउलकै

ताके सुतरे सन के ममुलकै

सुंदर पलंग मलिनिया घोरलकै

अतर गुलाब कतै ल छिटलकै

चारू पउआ पर नाद जरलकै

पग पग पग पग दीप जरैछै

गम गम गम गम पलंग करैछै

मह मह अंगना घर करैछै

सोना के चिलम रूपा के गिट्ठी

मेदनी फूल के गद्दा लगैलकै

पुरन गइठा मे आगि सुलगलकै

अंचरा फैइर के साफि बनलकै

आ दिया सलाय पियवा ल रखलकै

गुल बना के पलंग पर देलकै

राजा एइ सलहेस SSS ला SSS

राजा एइ सलहेस ला रतिया गमौलकई हो SSS

रामा जोरी बा SSS त बहिना SSS

 

गे सारि रात जगले रहि गेलियै

ओहि पियवा ल की की न केलियै

भिनसर भेलई बीहान भै गेलै

पूजा पाठ करितै रहि गेलियै

सब देवता अपन पूजा लेलकै

आगे सबसे दरशन मोरंग मे भेलै

राजा सलहसे ल की की न केलियै

सब पूजा ओकरे ल केलियै

सारा रात मनिहे मे बीतलै

भिनसर भेलै बीहान भै गेलै

तइयो न बेइमा SSS नवां

तइयो न बेइमनवां दरशन देलकै न गै

तइयो न बेइमनवां पियवा दरशन देलकै न गै

बहिना SSS

रामा जोरी बा SSS त बहिना SSS

तत सहेली अ सखी कहैछै

गे सुन सुन बहिना दिल करबरता

चल-चल बहिना मां के मंदिर मे

मइया ए दुर्गा के मंदिर मे चलिऔऊ हे SSS

बाबू एओ भाय SSS प्रेमी सा SSS

 

यौ सिक्की के डाली लेलकई मलिनिया

फूल सजा डाली मे देललकै

पान सुपारी लड्डू लेलकै

रबरल बतिया देलकई मलिनिया

आ रबरल बतिया SSS धैलकई मलिनिया न यौ SSS

बाबू ओ भाय SSS प्रेमी सा SSS

आगू पाछु मे सखी सब जाइछै

पल नइ लगलै पहर नइ लगलै

छनि अमइ मे मलिनिया ऐलै

बाबू हो भाय SSS प्रेमी सा SSS

यौ सारा दिन बाबू रसते मे बीतलै

सांझ परैइत आइले मैया के मंदिर मे

आ चंदेरी सब डाली रखलकै         

अहो पूजा पाठ कर मंदिर मे चललै

अ माता दुर्गा के पूजा ढरलकै

अ पान सुपारी लड्डू दे देलकै

हाथ जोरि के मलिनिया बैठलै

आ एक टंगा हो बाबू देलकै मंदिर मे

घरि अ पहर रैत ए घड़ी बीतले

सगरो राति एहि तरि बीतलै 

आ तीन पहर रैत भेलै मालिन क
बारह बजक जखन अम्बल भेलै

एक दिनन केहो के बतलाबे

सात दिन मंदिर मे बीतलै

सात दिन सात राति बीतलै मंदिर SSSS मे

आ SSS सात दिन सात रैत बीतलै वै मंदिर मे

बाबू सा SSSS

प्रेमी यौ भाय SSS भइया सा SSS

एक पांव जड़ मालिनिया के सूखलै

पेट सूइख गेलै बेटी मालिन क

ओनपर नैइ अन जल केलकै

दुर्गाजी मंदिर मे पूजलकै

नैना निर लगलई ओ चलैल

नैना के नीर अबार लगि गेलै

प्रेमी यौ भाय SSS भइया सा SSS

ममता किये न देखलकै मइया के मंदिर मे

आ SSS बारह बजे रात मे  SSS

दुरगा एइ परगट भेलै यौ SSS

बाबू यौ भाय SSS प्रेमी सा SSS

परगट भेलै मा मंदिर मे

आ माता दुरगा कहैय मालिन के

सुन गे बेटी मोरंग वाली

बालि उमर मंदिर मे तू ऐलें

अगे बड़ी जतन से पूजा केलैं

अगे नैना मे तोरा नीर चलैछौ

आ पेट पांजर तोहर बैठल छौ

बेटी गे मली  SSS निया SSS

 

कथि ला कनै छै बेटी, मइया के मंदिर मे SSS

कथि ला कनै छै गे बेटी, मइया के मंदिर मे नै गै SSS

रानी SSS

बाबू यौ भाय SSS प्रेमी सा SSS

एत्ते जेको बात बाबू मालिन ए सुनलकै

कल जोइर के गिरलै मंदिर मे

आ मइया के चरण पर गिरलै मलिनिया

मीठी-मीठी बोली रे दइबा दुरगा से बोलैयै SSS

आ मीठी-मीठी बोली रे दइबा दुरगाजी से बोलै छै न यौ SSS

बाबू सा SSS

मइया गे दुर SSS दुरगा SSS

अगे सात बहिन हम छलियै सतबरती

सबके शादी मोरंग मे भैले

सब बहिन सासुर चलि गेलै

सब बहिन सासुर मे बसैछै

सबके गोदी मे ललनवा खेलियै

सबसे ऐ जेठ बेटी से हम मलिया के

सबहक के जेठ बेटी, मलिया के घर मे अलियै गे

मइया जी SSS

मइया गे दुर SSS गा SSS

अहीं के घर मे आंचल बन्धलौं

बान्धल अचरा बंन्धले रहलौं

गिरह ओकरा अंचरा मे लगलौं

भरल जवानी निरबीत गेलै

अगे पेट पांजर ओति---मे सटलैं

गे मोरंग पोसल देह झांझर भेलौ

गात कात मोरंगै मे सुखलौं

 

तइयो न बेइमनवां दरशन देलकै

तइयो न बेइमनवां पियवा दरशन देलकै न गै

मैया SSS

 

नटिनिया प्रसंग

 

आ SSS आ SSS                                                                                                                     

राजा सलहेस के बान्ध लागि गेलैन, मोतीराम जेकरा के पीड़ बान्धि गलैन मलिनिया रानी, नटिनिया बैठ कय, मालिक के दरबार मे राजा चोर के कारण गुणी के वास्ते,     

पक्का सबूत बनउलकै, और बान्ध खौलैला मलिनिया मोरंगवाली अकेली तैयारी करिके चलि गेलै, आ चूहड़ छलै राजा के दरबार मे बाबू,

जेकरा गरदन पर धक्का माइर के राजा भगाय देलकै, आ चूहड़ के नाम बहीं पर से काइट देलकै

 

आ तेकरे कारण बाबू चूहड़ दुसधवा

जतिया दुसधवा दुरगा के पुकारैया

मां गंगा के चूहड़ ये पुकारैया

गे मइया गे दु SSSर गा SSS

अगे बारह बरस हम नौकरी केलियै

एकोटाबा पइसा तनखा नय देलिकै

भरल सभा मे राज से भगौलकै

गरदन पर मे धौल मारलकै

नाम काट देलकै लाल बही स

बारह बरस के कमैया हमरा

एकोटा नइ देलकै बेइमनवा हे SSS

से प्रेमी यौ भाय SSS बाबू सा SSS

 

आ बान्धि लंगोटा बाबू चूहड़

धरती पर पेटकान दे देलकै

मां दुरगा अइए चूहड़ कनैयै

बेटी मलिनिया मोरंग वाली

शादी के कारण पगली जोगिनिया

जैति रूप के नटिनिया बनलै

बान्ध खोलाबयलै अपना पियवा के

राज दरबार मे सबूत बनउलकै

से प्रेमी यौ भाय SSS बाबू सा SSS

मोरंग के मलिनिया जैति के रूप बनउलकौ यो

 

पियबा कारनबा रे दाइवा SSS, बनलौं नटिनिये रे जा SSS

अरे जान, बनले नटिनिये रे जान SSS

स्वामी के कारणबा रे दाइबा SSS, बनलौं नटिनिये रे जा SSS

अरे जा SSS

अरे पियबा कारनबा बेइमनवा, बनलौं नटिनिये रे जा SSS

सिरका एय सिरकी रे दाइवा SSS हमतनि बनउ SSSलिऔ रे जान

सिरका आ सिरकी रे दाइवा SSS हमत बनउ SSSलिऔ रे जान

अरे जा SSS

मुरगा मुरगी रानी जानी बनैलियै रे जान SSS

अरे जा SSS

मुरगा मुरगी रानी जानी बनैलियै रे जान SSS

बरछी त पइसा रे दाइबाSSS हमतनि बनउ SSSलिऔ रे जान

बरछी त पइसा अरे जा SSS

एरे जा SSS

गोटा लाल मोटरिया SSS सिर पर चढ़ौलिये रे जान SSS

गोटा लाल मोटरिया SSS सिर पर चढ़ौलिये रे जान SSS

जहवां बसै छै रे सिरी सलहेस SSS देव रे जान SSS   

एरे जा SSS

पियबा कारन हम बनलौ नटिनिये रे जान SSS

 

स्वामी के कारण जगत मे रानी मोरंगवाली नटिनिया बनि गेलै,

आ राजा शहर के माता दुर्गा भगवति के बुला क,

आ ऋषि भागिरैत मे कैन कैन क, चूहरमल भगवति से दरशन कैरिये,

माता दुरगा भगवति अलै, चूहड़ के कहलकै, सुन रौ बाबू सुन रौ नुनू

ऋषि भगिरैत मे बेटा किय कैन कैन के, आ माता भगवति के दरशन करै छ

 

आ कल जोरि कय चूहड़ बोलियै

सुन गे माता माता गे भवानी

बारह बरस हम नोकरी केलियै

एकोटाबा पैइसा तनखा नै मिललै

जे मइया गे दुSSS दुरगा SSS

गे लाल बही से नाम काइट देलकै

आ राजा दरबार से बरखास कय देलकै

आ चंद्रवती एई रहै रानी महल मे

आ राजा सलहेस के संग क देलकै

आ हमरा नौकरी से नाम काइट देलकै

मइया गे दुSSS दुरगा SSS

 

गै एक एक के बदला लेबै

जब तक बदला न लेबै राजा घर मे

आ मां गंगा के पूजा देबै

गंगा घाटे से सीन बलु कटबै

धरती के जड़ से सीन काइटकै

राजा के हम राजमहल जैबे

मइया गे दुSSS दुरगा SSS

एक एक बदला लेबै राजा के राज मे हे SSS

बाबू यौ भाय SSS प्रेमी सा SSS

 

मां भगवती दहिन भ गेलै                

आ चूहड़ के एय मदद कैलय

आ बाबू चूहड़ के उलटा कहैछै

अरे सुन रौ बेटा सुन रौ बाबू

ऐतना मुराद पूरा करबे एय मंदिर मे यो SSS

 

चूहड़ कहै छै सुन गे भगवती सुन के दुरगा,

जतेक पूजा तोरा कोई न केलकौ, तकर दोबर हम पूजा देबौ

एक सौ एक छागर मंदिर मे चढ़ौना दे देबौ,

आ सवा मन के लड्डू के ढेरी लगाय देबौ, आ मन से पूजा मंदिर मे कय देबौ

आ हमरा तनि मदद कय दियौ, आ चोरी के विद्या कैनिये सीखा दियौ

कहिलकै चल चल बेटा गंगा मे स्नान कय क पवित्र भै जो

आ तोहर मदद हम कय देबौ, बाबू राजा घर मे चोरी करिबैं

जाके चूहड़ गंगा मे पैसलै, तीन तीन डूब गंगा जी मे लेललै

आ तीन डूब गंगा मे लै कय, चूहड़ हाथ उठाकै कहैये, लेले माता भगवती आद्या जगदंबा

 

आय हो नारायण हे हो गोसइंया,

ताकि काल भगवति के गंगा, राजा मां के दुर्लभ दरशन  देलकै 

आ गंगा घाट मे चोरी मरम भगवति सिखाय देलकै बाबू चूहड़ क

 

आ चोरवा एय रूप माता भगवति बनावैछै

बन्धल लंटोगा हो बाबू बढ़ियार कै

आ सीनमारी रे माता भगवती  बनउलकै

छीटल न रहदी दुरगा निरमलुकै

चूहड़ के मदद एय करैल हो चललै

आ सोलह सौ हो सैना पहरा मे लागल छै

चंद्रावती रानी महल मे छै सूतल

चोरवा के चोरी मरम सिखौलकै

चोरी करैल बाबू चूहड़ चललय

जे प्रेमी यौ भाय SSS भैया सा SSS

चूहड़ा एय चोरी करैल, बैइठलै एय घाट मे SSS

आ SSS

गंगा के घाट मे ओ बाबू सा

चोरबा एय बैइसलै न यौ SSS

प्रेमी यौ भाय SSS बाबू सा SSS

 

अहो सेंधमारी जब चूहरा देलकै

एक बेर सेंघमारी लगौलकै

कट्ठा के कट्ठा बाबू धंसल गिरलकै

आ गंगा परगट तखनै भेलै

आ उलटक निरमोहिया देखलकै

आ मां गंगा से हो दरशन भेलै

से मइया गे गं SSS गंगा SSS

पहिले सगुन मे असगुन क SSSरिछै

पहिले सगुन मे SSS असगुन न करियौ न ये  SSS

गंगा कहियै

अरौ सुन रौ बाबू सुन रौ नुनू

आ जेकरा हम बलु दरशन देलियै

आ जीवन मे बेड़ा पार कै देलियै

बेटा रौ दुलाSSSर दुलरा SSS 

चिंता नै करियौ बाबू SSS माता भुवन मे यौ SSS 

 

कल जोरि के चूहड़ बोलियै

गे सुन-सुन मैया गंगा सुनले

अगे पहले सगुन के बरता कहिगै

माता जै गंगा कहैय चूहड़ के

एरौ सुन रौ बाबू सुन रौ नुनू

आ बहुते धन प्राप्त भै जेतौ

आ चूहड़ जेखिने कहैय गंगा क

अगे सुन ले माता गंगा सुनिले

एबरे चोरबा बन क एलियै

पहले सगुन चोहरा के बनतै

चोरी धन हमरा जदि मिलतै

वापस लौटबै राज मोकम्मा

तब हम एहिबै

गे मन से पूजा गंगा तोरा करबौ 

तोहर पूजा जे कोई नय केलकौ

मइया गे गं SSS गंगा SSS

सोना के चरखा मइया, तोरा लय बनैबौ हे SSS

 

गे सोना के चरखा बनाके भवानी तोरा ला हमे अनबौ

ताहि दिन मन से पूजा गंगा कय देबौ

माता गंगा बाम से दहिन भेलै, आ भगवति दहिना बगल मे छलै

आ चोरबा सीन कटैक तैयार भै गेलै, गंगा लगिलै मदद करिलै

आ गंगा के पानी सम्मुख तैयार भै गेलै बाबू

आ एक बेर बाबू गंगा धक्का मारैछै, सीनक पर सीन मे बिछावयै

चोहड़ा के मदद करियै चलत चलै छै

बारह बजेक रैत भलै जै मे सोलह सौ पहरू छलै पहरा क

धरती के तरे तरे सीन कटैत खड़ा खड़ा चूहड़ पहुंचलै

राजा के राज मे राजमहल मे, सीन फोरिक, आ हुलकी मारि के चूहड़ देखलकै

राजा सलहेस दुर्गकि छलै जै राजा मे, जई गेट पर तहि गेट पर मालिक

दुर्गा भगवति चोरी मे मदद कै देलकै, हुनकर घर मे जब चूहड़ पहुंच गेलैन

चंद्रावती सूतर छलै पलंग पर  SSS

 

यौ प्रेम नजर स SSS चूहड़ यै देखलकै

ससरल छौरा जाय छै राजा घर मे

तजबिज करिछै दुर्गा भवानी

मइया महारानी चूहड़ स पूछियै

से बेटा रौ दुलार SSS दुलरा SSS 

कौउने एय कारण स ससरल चलिछै यौ SSS 

से बाबू यौ भाय SSS भाइया SSS

ससरल जाय छै भइया दरबार SSS

ससरल जाय छै भइया दरबार यौ SSS

माता एय भवानी माता भगवती

निशि बाबू राइत मे जागिलै

आ चूहड़ के जब बाट क रोकलकै

आ मां दुरगा बाबू चूहड़ से एय पूछथिन

रौ सुन-सुन बाबू सुन रौ दुला रउआ

हरू कथि ला एय जाय छ महल मे

आ मां भगवति जे एय बाबू कहियै

सुन गे माता दुरगा सुनिलै

बड़ बड़ जुलुम एय रानी केलिकै

गे बारह बरस हम नोकरी केलियै

खून पइन देहिया से सूखलै

पइसा पइसा के तनखा रखलौं

एको पइसा तनखा नै देलकै

तेकला बदला मे घर मे एलियै

चीर चोली पगली के खोलिबै

गे धन धरम बेसिया के लूटबै

नाम मिटा देबै राजा के घर मे

धन धरम एको नै छोरबै

लूट लेबै राजा के घर मे

से बाबू यौ भाय SSS प्रेमी सा SSS

 

आहो झीड़ के चमेटा दुरगा ऐ मारलकै

माता भगवति भवानी देलकै

चूहड़ के जब मैया समझावयै

से बाबू यो दुलाSSSर दुलरा SSS

एरौ बेटी के धन बराबर लागैछै

सारा दुनिया मे बेटी सबनि कै

सबके घर मे ओ बेटी बसयै

धन धरम बाबू जे कोई लूटिछै

से नइ जिंदा बसै छै दुनिया मे

जतेक संपत्ति लेम्मे रौ बाबू

राजा घर मे लै लियो बेटा रौ

से प्रेमी यौ भाय SSS बाबू सा SSS

 

चूह़ड़ा माता के शबद सुनलकै

धीरे-धीरे चलि गेलै राजा के घर मे

धीरे-धीरे चलि गेलै राजा के घर मे

आ बेटी जोगिनिया सती छै पलंग पर

धन चीर संपत्ति ला लेलकै

आ एक एक धन बाबू बोरा मे कसलकै

बान्ध के हो मोटा घर से हो लेलकै

घर के बाहर बाबू चूहड़ गेलकै

से प्रेमी यौ भाय SSS बाबू सा SSS

 

दोबारा जब चूहड़ चलिलै

आ राजा के घर मे परलोभिया पैसलै

दुरगा एय भगवति कहैय चूहड़ के

एरो सून रौ नुनू सुन रौ बाबू

कथि ला एय आबै छै राजा के घर मे

हरेक काट चूहड़ दुरगा के मारै छै

सुन ले भगवति माय दुरगा एय सुन ले

जबै तक चोरी नै राजा घर मे करबै

तबे न वापस जैबऊ राज मोकमा मे

से प्रेमी यौ भाय SSS बाबू सा SSS

 

चीर चोली खोलि लेबै बाबू बेसियाक

दुरगा भगवति बाबू चोरबाक रोकियै

से बेटा रौ दुलाSSSर दुलरा SSS

एहन जुलुम बाबू तू न करमै

अलगे रहियौ बेटा राजा घर मे

आ अपने से दुरगा बेटी लग पहुचलै

चंद्रावती सती राज के लग मे

चीर चोली खोलिकै चोरबा के देलकै

नौ लाख के बाबू चीर चोली छेलै

नौ लाख के छलै राजसी पोशाक सब

सबटा खोइल क देलकै

चोरबा समैट क पलंग पर लेलकै

उठा के पलंग जब माथा पर क लेलकै

जे बाबू हो भाय  SSS बाबू सा SSS

सबटा समान लक चोरबा एय चललै यो  SSS

इशबर गोसाईं SSS बिधाता SSS

 

माता दुरगा राह रोकलकै

आ भगवति चूहड़ के कहलकै

रौ सून रौ बाबू सुन रौ नुनू

कते मदद तोरा हम केलियै

एहो पहले पूजा करिलै दुरगा के

इशबर गोसाईं SSS बिधाता SSS

 

चूहड़ा छौरा उलैट के तकै छै

मा दुरगा के डांट मारैयै

सुन गे दुरगा सुन गे भगवती

तू न जानै छै बाबू चोरबा के

दुरगा गे माय  SSS मइया SSS

पहले सगुन हम केकरो न देलियै हे  SSS

 

चूहड़ कहै छै, गे दुरगा पहले सगुन के पूजा आइतक केकरो नै देलियै हम

राज मोकम्मावासी मे कोहबर बनैलियै, रेशमा देवी क

पहले पूजा ओकर कै लेबै, तब हम केकरो पूजा देबै

दुरगा कहलकै, नै रे बेटा जबतक हमर पूजा नै देबै, तबतक तोरा जाय नै देबो मोकम्मा

पहिले पूजा द दे, तब राज मोकमा मे चल जेइहं

बाट के भगवति अपन रूप के प्रकाश कै देलकै, आ सारा सहस्त्र रूप के घेर देलकै

आ ओहि समय मे चूहड़, अपन रूप के बदलिकै, चोरी के लक्षण पकैर लेलकै

आ सीनमारी हाथ के ला कै कारिख चून्ह हाथ मे लगा लेलकै

आ चाट लगाके भगवति ला पहुंच गेलै, कहलकै ले दुरगा

कि चोरबा के आजतक श्राप नै पड़लै, एइ चोरबा के चोरी करत समय सब जुग मे बीत गेलै

कारिख चून्ह के टीका लगाय देबौ, केश टीक झोंटा काइट लेबौ

आ अई नगर मे नाम परगुनिया मे दाग लैग जतौ, चोरबा के नाम अमर रहि जेतौ

 

आ तखने भगवति माता धीरे-धीरे रूसलै

आ दुरगा एय भवानी पाछु मा से हटलै

आ चोरबा के दुरगा भगवति एय शरापयै

अरे जो रे पुतखउका, जो रे पुतलोकना

बेटा मरतौ, बाप नहीं कहतौ,

जनम जनम निपुतरे रहमे

जीवन मे तू चोरी करमे

चोरी करत तोरा दिन बलु जेतै

से बाबू यौ भाय SSS प्रेमी सा SSS

 

चूहड़ा एय राजा हो जै दिन, दुरगा से बोलै छै यो SSS

सुन सुन सुन गे दुरगा भवानी

गिद्द के शराप नय दुनिया मे पड़ितै

चोरी गे उठ जैते मैया दुनिया मे

तोहर शराप माता भगवती गे पड़तै

एकोटाबा जीव मैया नइहे जे बचतई

से प्रेमी यौ भाय SSS बाबू सा SSS

चूहड़ा एय भागल जय छै, मोकमा नगर हो SSS

इशबर गोसाईं SSS बिधाता SSS

 

एमहर नटिनिया राजा सलहेस के संगे, नटिनिया बइन के नटवा बइन क

सिकीरीक सिरकी तैन क, राज मोकम्मा नगरी के तैयारी क देलकै, चोरबा के बान्धि ल

से बाबू यौ भैय्या SSS

 

आ पियबा के कारनबा रे दाइवा SSS

आ बनलौं नटिनिया  SSS रे जान  SSS

पियबा के कारनबा रे दाइवा SSS

बनलौं नटिनिया  SSS रे जान  SSS

अरे जान SSS रे स्वामी के कारनबा

बनलौं नटिनिये  SSS रे जान  SSS

ऐरे जान SSS

पियबा कारनबा बनलौं, बनलौं नटिनिये रे जान

आगू आगू चलिछै रे दाइबा  SSS

छौरी त नटिनिया रे जान -2

अरे जान  SSS

आगू आगू चलिछै नटिनिया  SSS

त नटवा रे जान SSS

अरे जान  SSS

पाछु रे पाछु चलैछै

मन चितवन से रे जान  SSS

ऐरे जान SSS

पाछु रे पाछु चलैछै

मन चितवन से रे जान  SSS

सिरका एय सिरकी दे दाइबा SSS

गोदना मोटरिया रे जान SSS

सिरका एय सिरकी दे दाइबा SSS

गोदना मोटरिये रे जान SSS

ऐरे जान SSS

चलल नटिनिये रे दाइबा

मोकमा नगरिये रे जान SSS

अरे जान SSS

एक कोस गेलई रे दाइबा

कोसले दोसरके रे जान SSS

ऐरे जान SSS

कोसले दोसरके रे जान SSS

ऐरे जान SSS

देश एय कोस मे पहुंचलै

चोहड़ा नगर मे रे जान SSS

ऐरे जान SSS

देश एइ कोस मे पहुंचलै

चोहड़ा नगर मे रे जान SSS

।। इति  II